गुरुवार, 7 फ़रवरी 2013

उद्वोधन


कहियो पूर्णिमा सन आलोकित,
मैथिल, मिथिला आ मैथिली,
घोर अन्हरियामे हराओल अ,
किछ दूर टिमटिमाइत तारा सन,
किछ मिटैल पगडण्डी,
रि-धुरिमे ओझराल अ,
सभ्यातक सूर्य,
कहिया परिचयके बदलि देलक,
किछ आभासो नै भेल,
मुदा !
जहन-जहन पाछू तकैत छी,
ह्रदयमे किछु उथल-पुथल,
बहरा लेल व्याकुल अ,
मुदा !
भीतरे-भीतर घुटि जाइत अ,
स्वच्छन्दता- स्वतंत्रता नै अ,
अपन अहंग,
सैहबी डोरीमे बन्हाए,
जाबी लगौने,
बरद जका ऑफिसक दाउनमे लागल छी,
अपन सहजता-सरलतास डेराइ,
जे पाछू नै भ जा,
अपन परिचयस भगैत,
नव परिचय बनाबैमे लागल छी,
मुदा !
ओ स्वर्णिम गौरव गाथा,
कोना लिखब,
माता-पिता आ पूर्वजक प्रति श्रद्धा बिनु,
भाषाक प्रेम सिनेह बिनु,
कोन रंगस रंगब
अपन कैनवासके…..
कोन गीतस सजैब
अपन जीवनके……
मुदा !
हम सुतल नै छी,
मरल नै छी,
जागल छी,
हमर अल्हड़ता, हमर सहजता, हमर नम्रता
हमर परिचय अ,
सभ्यातक आलोकस आलोकित,
आब हम समर्थवान छी,
किक ने अपन समृद्धि,
अपन परिचयकेँ सींची,
अतीत त स्वर्णिम छल,
आब आ आ आबैबला काल्हि,
के सेहो स्वर्णिम बनाबी,
गोटे मिली कऽ,
एक दोसरके मैथिलीक रपान कराबी.


पंकजझा23@ जीमेल.कॉम

2 टिप्‍पणियां:

  1. वर्तमान के परिश्थिति के अनुपम निरूपण

    जवाब देंहटाएं
  2. How to make money - How to make money on casino gambling
    How to Make Money on casino gambling · Make a Deposit · Go to the Casinos; · Select “Deposit a minimum of หาเงินออนไลน์ $10”; · Click on “Deposit a minimum of $10”

    जवाब देंहटाएं